Wednesday, March 2, 2016

मिथिलावासी के लेल अत्यंत गौरव बात

मिथिलावासी के लेल अत्यंत गौरव बात जे पिछला किछु महीना स टीवी, प्रिंट आ सोशल मीडिया पर सब स बेसी चर्चित मैथिल भाई श्री अश्विनी झा जी, जिनका 22 फरवरी 2016 क राष्ट्रपति महामहिम श्री प्रणव मुख़र्जी द्वारा राष्ट्रीय पुरस्कार " लार्ड बेडेन पॉवेल " 2016 स सम्मानित कायल गेलैन।


देश के राजधानी दिल्ली समेत अनेकों जगह हुनकर स्वागत के तैयारी चलि रहल अछि ! मिथिलावासी के साथ साथ हमरा लेल हर्ष के विषय कनि ज्यादा अछि कारण श्री अश्विनी झा जी दरभंगा में बेनीपुर प्रखंड के सझुआर गांव के मूल निवासी छैथ जे हमर ससुराल मझौडा, बेनीपुर के बिलकुल सटल अछि। फिलहाल श्री अश्वनी झा जी रैपिड एक्शन फोर्स-106 वीं बटालियन, जमशेदपुर में सेकेंड इन कमांडेंट के पद पर तैनात छैथ !

मैथिल समाज अप्पन एहि "मैथिल पुत्र" के सम्मान करबाक लेल देश भरि में प्रतीक्षारत छैथ ! एहि क्रम में श्री अश्विनी झा जी के 23 फरबरी 2016 कय भव्य अभिनन्दन स्वागत समारोह भेल जाहि में दिल्ली एनसीआर के तकरीबन सब सक्रिय मैथिल सामाजिक एवं राजनीतिक लोक सब भाई श्री अश्विनी झा एवं हुनक अर्धांगनी श्रीमती ऋतू झा जी जे मैथिली आ हिंदी के प्रसिद्द लेखिका आ कवियत्री छैथ, हिनकर लिखल " तरंग" पुस्तकक विमोचन समारोह सेहो भेल, दुनू गोटे के नई दिल्ली के केजी मार्ग पर "सुगति सोपान" एवं "मैथिली कला परिवार" द्वारा आयोजित कार्यक्रम में अप्पन अप्पन शुभकामना देवय वास्ते पहुँचलाह।
दुनु प्राणी के हृदय सँ हार्दिक बधाई एवं ढेरों शुभकामनायें। जय मिथिला - जय मैथिली।
विभय कुमार झा एवं परिवार

No comments: